Monday, 27 April 2020

मैथिलीभाषी क्षेत्रमे पत्रकारिताक एकटा नमूना !

मैथिली भाषी क्षेत्रक एकटा नमुना समाचार:: मधुवनी बासोपट्टी डेटलाइनसँ लिखल अहि समाचारमें खास विषय वस्तुके सामान्यीकरण (जेनेरलाइजेसन) कएल गेल अछि । मुदा समाचारक बाइटमे एकल जातिय गन्ध छयैक । पत्रकारिताक आधारभूत सिद्धान्तमे कुनू पत्रकारके स्थायी बाइट आ जातिय बाइटसँ सदखनि दूर रहबाक बात उल्लेख छहि । एतह स्थायी बाइट त नहि मुद्दा एकैहटा जातिके बाइट छहि । अहि तरहे पत्रकारिता पत्रकारक विश्वसनीयता उपर प्रश्न खडा भए सकैत अछि । समाचारमा अहि तरह जेनेरलाइजेसन पत्रकारक लेल सेहो आत्मघाती होइत छहि ।

No comments:

Post a Comment