मैथिली भाषा
- जनकपुरमे ‘मधेस सोलकन समाज’ के अध्यक्ष बलदेव साह(वैश्य) छथि, अहि स इ पुष्टि होयत अछि जे वैश्य समुदाय सेहो ‘सोलकन’ मे पडैत छहि ।
- ‘सवर्ण’ बाहेक के लोग के ‘सोलकन’ कहै बला बात चन्द्रकिशोर झा जी सेहो अपना एकटा लेख में उल्लेख केने छथि ।(कान्तिपुर, २० कार्तिक २०७१)
- प्रा.परमेश्वर कापडि ‘सोलकन’ के ‘छोटवर्णा’ जाति सं उपर मानैत छहि (विदेह, २०१२) । कापडि के बात मानल जाए त पानी चलैबला जाति सब ‘सोलकन’ भेल . विदेह ९४ म अंक १५ नोभेम्बर २०११ मे ‘मानकताका बात विषपाद अछि’ शीर्षक सामग्रीमे परमेश्वर कापडि लिखने छथि, ‘हमरा जनिते एकहि गाम समाजमे रहियोक’ तथाकथित सोलकन आ छोटवर्णा ‘अछि, छथि, छथिन’ नै बजलखिन्ह आ जत’ कतौ बजलो होतै त’ सेबहिया खबास, नोकरनी बहिकिरनी सब ...।’ अहि कथन स पुष्टि होइत अछि जे ब्राह्मणेत्तर सब ‘सोलकन’ भेल ।
- धानुक समुदाय के सेहो ‘सोलकन’ मानल जाइत छहि । मधुबनी के तमुरिया नजिक बेरमामे ब्राह्मण सभ शंभू मण्डलके साथ ‘सोलकन’ कही अपहेलित कएल गेल बात कपलेश्वर राउत अपन रचना ‘छुआछुत’ मे लिखने छथि । ओ लिखति छथि , ‘तु सोलकन सभ भगवतीकें अपने हाथे ने लड्डू चढा सकै छै, ने प्रणाम क सकै छै....।’ अहि मे ‘सोलकन’ के अछूत होमाक बात बुझमा मे अबैत अछि ।
- किछु लेखक सब ‘सोलकन’ के अर्थ दलित आ ओबीसी जाति होमाक बात सेहो लिखने छहि । मिथिला मे ‘सोलकन’ निम्न कहै वला जाति के जातिसूचक शब्द थिक, जकर मिथिलांचल मे धडल्ले सं प्रयोग होइत अछि । अन्य शब्द जका इहो दोसर के अपमान, वेदना आ हिनताबोध से ग्रस्त करबारक एकटा कारगर शब्द थिक (जनसत्ता, ३१ अगस्ट २०१२, देव कुमार) ।
- भारतके विद्या म्युजिक एकटा भिडियो निकाल्ने छहि, तक्कर शीर्षकमे ‘चंठ ब्राह्मण, लठ्ठ सोलकन’ लिखल अछि । गीतमे गायक हरिजन उल्लेख कए रहल छथि । पुरा एलबम सुनलाक बाद हरिजन सेहो सोलकन होमाक पुष्टि होइत छयैक । (विद्या म्युजिक प्रालि, मैथिली गीत–२०१९)
निस्कर्ष: सोलकन के अर्थ गइर–ब्राह्मण भेल ।
(नेपालक पूर्व सभासद ShivRam Yadav के जिज्ञासा ‘सोलकन शब्दकें अर्थ’ पर ३ डिसेम्बर २०१८ में तयार कयल हमर ई जानकारी )

Keep it up. Inspirational
ReplyDeleteGOOD jOb sir
ReplyDeletehttps://martinchautari.org.np/storage/files/madhesh-pradeshma-paidal-anusandhan-gopal-thakur.pdf
ReplyDeletehttps://www.nepalpress.com/2023/07/09/347099/
ReplyDeletehttps://www.nayapatrikadaily.com/news-details/116111/2023-06-03
ReplyDeletehttps://www.hindwidictionary.com/meaning-of-solkan
ReplyDeletehttps://www.youtube.com/shorts/OcKOQoglIR4
ReplyDeletehttps://www.enewsbureau.com/news-details/14952/2023-01-11
ReplyDeletehttps://thepublictoday.com/2022/104060
ReplyDeletehttps://www.youtube.com/watch?v=8XstuthclNA
ReplyDelete