Thursday, 21 May 2026

डर

(मैथिली लघुकथा)
✍ दिनेश यादव
गामक बलभद्र एकटा सज्जन लोक छलाह । ओ छहटा वियाह कए चुकल छलाह । हरेक वियाहकेँ दोसरे दिन हुनकर कनियाँके निधन भए जाएत छल । जब ओ सतमा वियाह करबाक सोच बनौलाह, हुनका कनियाँ नहि भेट रहल छल । बलभद्रकेँ कियो आब अपन बेटी देबा लेल तयार नहि छल । ओ बहुत असमंजसमे पडि गेलाह ।
किछु सप्ताह बाद हुनकर वियाह नजिककेँ दोसर गामकेँ बुचकुन दाई सँ तय भेल, ओहो छटा वियाह कए चुकल छलीह । हरेक वियाहकेँ दोसरे दिन हुनकर पतिकेँ सेहो निधन भए जाएत छल । वियाहकेँ बिहानभने गउँवा सभ उत्सुकतापूर्वक बलभद्रकेँ घर पहुचल छल । सभ गोटा अत्यन्त उत्सुक छल –कि भेलैक ? घरक एकटा कोठलीकेँ गेट पर पहुँचकेँ भुटकुन गेटकेँ ढकढकौलक.....। गेट खुजल । भितर सँ आबाज आएल, ‘हमरा बचाऊँ, हमरा बचाऊँ ।’
भुटकुन संगैह किछु गउँवा सभ दौडैत, एकैह बेर कोठलीमे घुसि गेलाह । देखलाह– दुनू पराणी जिविते छलाह । मुदा ओ सभ एक–दोसर सँ डराएत रहैक । ई देख गउँवा सभ बजलाह, ‘अहि बेर ई दुनू गोट मृत्यु सँ नहि, डर आ भय सँ मरि रहल छैक ।’

2 comments:

  1. #photooftheday #styleblogger #blogpost #foodblogger #blogs #makeup #travelblogger #islamabad #trending #explore #pakistan #poetry #explorepage #fashionstyle #lahore #writerscommunity #media #india #writersofig #poetsofinstagram #writersnetwork #karachi #radio #beautiful #foodie #poetscommunity #bymepoetry #likeforlikes #bloggerlifestyle #picoftheday

    ReplyDelete
  2. #blogger #fashion #blog #instagood #love #instagram #fashionblogger #photography #style #influencer #lifestyle #bloggerstyle #beauty #photooftheday #travel #ootd #follow #like #model #instadaily #picoftheday #beautiful #makeup #fashionstyle #explore #travelblogger #trending #foodblogger #fashionista #food

    ReplyDelete